सहरसा। 03 जनवरी। अप्पन समीक्षा यात्रा केर दौरान मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कैल्हि 4 जनवरी क' सहरसाक दौरा करता। ऐहिक लेल प्रशासनिक तैयारी जोर शोर सँ चैल रहल अछि। अप्पन यात्राक दौरान मुख्यमंत्री सुलिंदाबाद गामक दौरा करथिन। मुख्यमंत्री केँ यात्रा मे कुनु कमी नहि रहे ऐहिक लेल देबाल सभ पर रंग रोगन कराओल जे रहल अछि। कैको जगह सड़क बनाओल जे रहल अछि।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सहरसाक दौरा केर दौरान सुलिंदाबाद गामक दौरा करता। एहि गाम मे ओ दू घंटा रहता। दिनक 2 बजे एहि गाम पहुँचलाक बाद ओ 4 बजे एता सँ प्रस्थान करता। हुनकर एहि यात्राक दौरान कुनू बातक कमी नहि रहे अधिकारी सभ ऐहिक पूरा ध्यान रैख रहल अछि। कतहुँ शौचालय केर निर्माण भ' रहल अछि तेँ कतहुँ सड़क बनाओल जे रहल अछि। कतहुँ सामाजिक जागरुकता अभियान केर तहत दहेजबंदी आओर बाल बिआह केर विरोध मे नारा लिखल जे रहल अछि।
दरअसल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अप्पन सात निश्चय योजनाक हाल बुझबाक लेल समीक्षा यात्रा पर निकलल छथि। एहि योजना केर वर्तमान मे जे भी हकीकत होय मुदा अधिकारी सभ मुख्यमंत्री केँ एहि दौरा क' देखैत कुनू भी योजना मे कोनो कमी नहि राखे चाहैत अछि।