पछुआ हवाक कारण बढ़ल ठंढ, मौसम विभाग देलक भीषण शीतलहरक चेतावनी

सहरसा। 04 जनवरी। बिहार मे पछुआ हवाक कारण ठंडक प्रकोप बढ़ते जे रहल अछि। एहि सभक बीच मौसम विभाग बिहार मे अगिला दू दिन धरी भीषण शीतलहरक चेतावनी देना अछि। तापमान मे लगातार गिरावटक बाद मौसम विभाग कहलक कि फिलहाल ठंड सँ राहतक कोनो उम्मीद नहि अछि।

अपने क' बता दी मिथिलांचल समेत पूरा उत्तर भारत म' ठंड सँ आम जन-जीवन अस्त व्यस्त भ' गेल अछि। लोग सभकेँ घर सँ बाहर निकलबा मे बहुत परेशानी भ' रहल अछि। ठंड क'क' मौसम विभाग सँ भेटल जानकारी केर मुताबिक 4 - 5 जनवरी क' भीषण शीतलहर केर संभावना अछि। मौसम विभाग पटना, छपरा, दरभंगा, सहरसा समेत कैको जिला मे कोल्ड डे घोषित केना अछि। 

बिहार-झारखंड समेत पूरा उत्तर भारत शीतलहरक चपेट मे अछि। कैलहि तीन जनवरी क' पटना मे अधिकतम तापमान 16.5 डिग्री (सामान्य सँ 5 डिग्री कम) जखनकि न्यूनतम तापमान 7.1 डिग्री (सामान्य सँ 2.2 डिग्री कम) दर्ज कायल गेल।