सीबीआई कोर्ट सँ वापस जेल पहुंचला लालू, कैल्हि सुनाओल जायत सजा

रांची। 03 जनवरी। आरजेडी अध्यक्ष लालू यादव क' चारा घोटालाक एक मामला मे सजा केर ऐलान आब कैल्हि गुरु दिन कायल जायत। पहिने 3 जनवरी यानि आय सीबीआई केर विशेष कोर्ट लालू यादव क' सजा सुनबै बला छल, मुदा ऐहिके कैल्हिक लेल टारल गेल अछि।

सीबीआई केँ विशेष अदालत मे सीबीआई केर जज शिवपाल सिंह आरजेडी पर बहुत बड़का मौखिक टिप्पणी केलक। पछिला 23 दिसंबर क' सुनाओल गेल फैसलाक खिलाफ बयानबाजी करबा पर लालू यादव केँ छोटका बेटा तेजस्वी यादव, आरजेडी उपाध्यक्ष रघुवंश प्रसाद सिंह, शिवानंद तिवारी आओर कांग्रेस नेता मनीष तिवारी क' अवमानना केर दोषी पाओल गेल अछि। संगहि कोर्ट चारों नेता क' नोटिस जारी करी 23 जनवरी क' अदालतक समक्ष पेश होयबाक लेल कहने अछि। 

अपने क' बता दी विगत 23 दिसंबर क' लालू यादव क' दोषी करार देल गेल छल। अदालत एहि मामला केँ फैसलाक तारीख 3 जनवरी निर्धारित केना छल मुदा, जिला बार एसोसिएशनक दू वकीलक निधन केर कारण कोर्ट केर कार्यवाही स्थगित क' देल गेल। अब लालूक मामला मे कैल्हि फैसला सुनाओल जायत।