
पटना। 01 जनवरी। बिहारक उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहलनि कि 2018 मे बिहार लालटेन मुक्त होयत। आगा ओ कहलनि कि बिहारक हर गाम आओर टोला मे बिजली होयत। हालांकि लालटेन बिहारक मुख्य विपक्षी पार्टी आरजेडी केर चुनाव चिन्ह सेहो अछि, ऐना मे मोदीक एहि बयान क' राजनैतिक रुपे सेहो देखल जायत अछि।
गौरतलब अछि कि 27 दिसंबर क' राज्य केर अविद्युतीकृत गामक विद्युतीकरण यात्रा केर समापन समारोह मे भाग लैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहने रहथिन कि 2018 धरी बिहारक सभ घर मे बिजली पहुंच जायत। ऐना मे मानल जायत अछि कि 2018 धरी रोशनीक मामला मे बिहार एक तरह सँ लालटेन मुक्त भ' जायत।
सुशील मोदीक बयान क' राजनैतिक रूप सँ देखल जाय तेँ बिहार मे एनडीए लेल सभसँ बड़का चुनौती लालू यादव केर पार्टी आरजेडी अछि। खासकरीकें 2017 मे सत्ता परिवर्तनक बाद जाहि तरहे आरजेडी नेता बिहार आओर केंद्रक सरकार पर हमला केना अछि ओहिसँ लागैत अछि कि एनडीए लेल बिहारक सियासी राह आसान नहि अछि। चारा घोटाला केँ एक मामला मे आरजेडी सुप्रीमो लालू यादव क' दोषी करार देबाक बाद सँ जाहि तरहे आरजेडी नेता सभ बीजेपी आओर जेडीयू पर हमला क' रहल अछि, एहिसँ लागैत अछि कि एनडीए क' लालटेन मुक्त बिहार बनायब आसान नहि अछि।