बेगूसराय : हत्या करी फेकल गेल युवकक लाश भेल बरामद

बेगूसराय। 10 जनवरी। मुफस्सिल थाना क्षेत्रक बड़ी ऐघु पंडित टोला निवासी सत्यनारायण सिंह केर पुत्र गोपाल कुमार केर हत्या करी फेकल गेल लाश बरामद भेला सँ पूरा क्षेत्र मे सनसनी पसरल अछि। प्राप्त खबैर केर मुताबिक कैल्हि मंगवारक भोर भारद्वाज नगर बांसबिट्टी मे एक युवकक लाश क' स्थानीय लोग सभ देखलक आओर ऐहिक सूचना पुलिस क' देलक। ओतहि विगत सात जनवरी सँ लापता गोपाल कुमारक परिजन सेहो  घटना स्थल पर पहुंचल जाता शव केर पहिचान क' लेल गेल। 

घटना स्थल पर पहुंचल पुलिस शव क' अप्पन कब्ज़ा मे लैत पोस्टमार्टम लिए सदर अस्पताल भेज देलक। संगहि एहि मामलक जांच शुरू क' देलक। अपराधी सभ युवक क' दू गोली मारने छल। प्राप्त खबैर केर मुताबिक एहि सँ पहिनो मृतक क' एमआरजेडी कॉलेज लग गोली मारीकें  घायल कायल गेल छल। जाहिमें तीन गोटाकेँ अभियुक्त बनाओल गेल छल। बताओल जे रहल अछि कि सात जनवरी से गोपाल घर सँ गायब छल। हुनकर छोट भाई कन्हैया कुमार मोबाईल सँ संपर्क करबाक प्रयास केलक मुदा ओहि राति दस बजे सँ मोबाईल सेहो बंद छल।