मुजफ्फरपुर। 16 जनवरी। एसएसपी विवेक कुमारक नेतृत्व मे स्वर्ण व्यवसायी रोहित हत्याकांडक भेल खुलासा। स्वर्ण व्यवसायी रोहित केर हत्यारा केर गिरफ़्तारीक मांग ल'केन व्यवसायी सभक हड़तालक कारण सँ पुलिस आनन फानन मे हत्या मे शामिल दू आरोपी केँ गिरफ्तार केलक।
पुलिसक मुताबिक सोनारपट्टीक एक स्वर्ण व्यवसायीक करीबीये हुनकर हत्याक साजिश रचने छल। हत्याकांडक दू अपराधी कल्याणीबाड़ा केर मोनू पटेल आओर खादी भंडार इलाकाक बैजनाथ पासवान केर गिरफ्तारी भेल अछि। गिरफ्तार अपराधी सभ अप्पन गुनाह कबूल करैत कहलनि कि मनोज सहनी एहि घटनाक मुख्य सूत्रधार छथि, जे शहरक मुख्य स्वर्ण व्यवसाय सँ जुड़ल एक व्यक्ति द्वारा सुपारी देलाक बाद घटना केँ अंजाम दियौलनि। पुलिस सुपारी देबै बलाक खुलासा एखन धरी नहि केना अछि। हुनकर गिरफ्तारी लेल पुलिस द्वारा एखनो छापामारी कायल जे रहल अछि।