ट्रेन सभ पर नजैर रखबाक लेल आब ड्रोन केर मदैद लेत रेल मंत्रालय

नई दिल्ली। 09 जनवरी। भारतीय रेल अप्पन गतिविधि विशेष करी परियोजना सभक निगरानी, पटरी सभक मरम्मत आओर रेलवे ढांचा सभ पर नजैर रखबाक लेल ड्रोन कैमरा केर तैनातीक निर्णय लेना अछि। रेलवे अप्पन सभ मंडल केँ एहेन करबाक निर्देश जारी क' देना अछि। रेलवे तकनीकक प्रयोग सँ ट्रेन सभक संचालन केँ आओर सुरक्षित करबाक लेल प्रयासरत अछि।

ड्रोन कैमरा केर माध्यम सँ राहत आओर बचाव अभियान सभ पर नजैर रखबा मे मदैद भेटत संगहि महत्वपूर्ण काज, पटरी सभक स्थिति आओर निरीक्षण काज पर नजैर राखल जायत। एहि कैमराक जरिए नॉन इंटरलॉकिंग काजक मूल्यांकन केर तैयारी, मेल सभक दौरान भीड़क प्रबंधन, स्टेशन सभक हवाई सर्वेक्षण आओर कुनु गड़बड़ी क' तुरंत चिन्हित करबा मे मदैद भेटत। 

एहि पहल मे भारत मे सभसँ पहिल ड्रोन केर तैनाती पश्चिमी मध्य रेलवे केना अछि जाहिक मुख्यालय मध्य प्रदेश जबलपुर मे अछि। पश्चिमी मध्य रेलवे पछिला सप्ताह एहि कैमरा क' अप्पन तीनो खंडक निम्न स्थान पर परीक्षण केलक।

जबलपुर खंड - भिटोनी लग नर्मदा पुल

भोपाल खंड - (1)- निशातपुरा पुल (2) एचबीजे आओर मिसरोद केँ मध्य तेसर लाइन काज

कोटा खंड - (1) कोटा लग चंबल पुल (2)- कोटा लग डकनिया तलाव यार्ड