नालंदा विश्वविद्यालय केँ कुलपति प्रोफेसर सुनैना सिंह संवाददाता सभकेँ संबोधित करैत कहलनि कि राजगीर स्थित कंवेंशन सेंटर मे आगामी 11 जनवरी सँ आयोजित होमै बला उक्त सम्मेलनक उद्घाटन सत्रक मुख्य अतिथि राष्ट्रपति रामनाथ कोविंद हेता।
एहि मौका पर श्रीलंकाक विदेश मंत्री तिलक मारापना, बिहारक राज्यपाल सत्य पाल मलिक, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, विदेश मंत्रालय सचिव (पूर्वी) प्रीति शरण सम्मानित अतिथि हेता। एहि सम्मेलन मे 11 देशक लोग भाग लेत आओर ऐहिकेँ 20-30 वक्ता लोकनि द्वारा संबोधित कायल जायत।