घटनास्थल पर पहुंचल लोग मृतक लग सँ प्राप्त भेल आधार कार्डक आधार पर मृतकक परिजन केँ एहि घटनाक सूचना देलक। ओतहि लोग सभ ऐहिक सूचना जीआरपी समस्तीपुर केँ सेहो देलक। सूचना भेटते घटनास्थल पर पहुँचल जीआरपी कांस्टेबल चंद्रकांत वर्मा कहलनि कि उक्त युवकक पहिचान दरभंगा जिलाक शुभंकरपुर निवासी शंभू राय केँ 25 बरखक बेटा चंदन कुमारक रूप मे कायल गेल अछि।
एहि घटना ल'केँ लोग तरह - तरह केँ कयास लगा रहल अछि। पहिल दृश्या ई ट्रेन सँ गिरबाक बुझा रहल अछि। पुलिस घटनाक छान बिन मे लागल अछि। एहि खबैर सँ शुभंकरपुर मे मातम पसरल अछि। शुभंकरपुर निवासी भाजपा प्रदेश कार्यसमितिक नेता बालेन्दु झा पीड़ित परिवारक प्रति संवेदना व्यक्त करैत ऐहिकेँ व्यक्तिगत क्षति कहलनि।