नाबालिग लड़की सँ बिआह करबाक लेल पहुंचल तीन बच्चाक बापकेँ पुलिस केलक गिरफ्तार

दरभंगा। 18 जनवरी। [प्रणव कुमार चौधरी] बहादुरपुर थाना क्षेत्रक पुरखोपट्टी गाम मे एक नाबालिग लड़की सँ बिआह करबाक लेल पहुंचल तीन बच्चाक बापकेँ पुलिस गिरफ्तार क' लेलक। नाबालिग केँ बिआहक खबैर जहिना स्थानिय लोग सभकेँ भेटल ओ सभ तुरंत बहादुरपुर थाना के ऐहिक सुचना देलनि। सूचना  भेटते पुलिस मौका पर पहुंच बिआह करे पहुँचल व्यक्ति केँ गिरफ्तार क' लेलक। 

गिरफ्तार व्यक्तिक पहिचान समस्तीपुर जिलाक सिंघिया थाना क्षेत्रक हरिपुर गाम निवासी मो. मजहरक पुत्र मो. सद्दाम केर रूप मे कायल गेल अछि। जाहि समय पुलिस छापामारी क' रहल छल, ऐहिक फायदा उठबैत मीडिएटरक रूप मे काज क' रहल एक महिला भागैय मे सफल रहली। पुलिस ओहि महिलाक गिरफ्तारीक लेल सेहो छापामारी क' रहल अछि। 

अपने क' बता दी कि  21 जनवरी केँ होमै बला बाल बिआह व दहेज प्रथाक विरुद्ध लगातार जागरुकता अभियान चलाओल जे रहल अछि। ऐही सँ लोग सभमें सेहो जागरूकता देखकर द' रहल अछि। एहि घटनाक संबंध मे बहादुरपुर थाना मे 18/18 मामला दर्ज करी अनुसंधान कायल जे रहल अछि।