सुपौल। 18 जनवरी। भपटियाही थाना क्षेत्र स्थित एनएच 57 पर मोटरसाइकिल सवार दू युवक केँ एक अनियंत्रित ट्रक दाबी देलक। जाहिसँ दुनू युवकक घटनास्थले पर मौत भ' गेल। जाहिक बाद ग्रामीण सभ उग्र भ' चारि घंटा धरी एनएच 57 केँ जाम करी प्रदर्शन केलक।
प्राप्त जानकारीक मुताविक भपटियाही गाम निवासी अरविंद कुमार मेहता (25) आओर चंदन कुमार मेहता (24) अप्पन गाम सँ भपटियाही बाजार जायत छला। एहि बीच इस्ट वेस्ट कॉरिडोर पर विपरीत दिशा सँ आएब रहल ट्रक मोटरसाइकिल सवार दुनू युवक केँ दाबी देलक। जाहिक बाद मौका सँ चालक ट्रक छोड़ी पड़ा गेल।
सदर एसडीओ एनजी सिद्धकि कहलनि कि आपदाक तहत देल जाय बला सहायता पीड़ित परिवार केँ देल जायत। ओतहि भपटियाही थानाध्यक्ष मुकेश कुमार मिश्रा कहलनि कि दुनू युवकक शव केँ पोस्टमार्टम लेल सदर अस्पताल सुपौल भेज देल गेल अछि। पुलिस अग्रेतर कार्रवाई मे जुटल अछि।