दरभंगा। 01 जनवरी। टीवी शो राइजिंग स्टार सँ फेमस भेल मैथिली ठाकुर दरभंगा केँ नेहरू स्टेडियम मे नूतन वर्ष पर एहेन समां बान्हली कि दरभंगावासी झूमि उठल। पूरा राति चलल एहि कार्यक्रम मे बहुत रास संगीत जगतक हस्ती पहुंचल छल। चारि दिवसीय मिथिला महोत्सव सह 144सम जिला स्थापना दिवस केर दोसर दिन सांस्कृतिक कार्यक्रम केर आयोजन भेल। एहि दौरान मैथिली ठाकुर केर संग मुंबई सँ आयल गयिका आलिशा एंजेला सेहो देर राति धरी अप्पन गीत सँ लोग सभक मोन मोहि लेलनि।
कार्यक्रम में आम लोगक संगे संग बहुत रास नेता सर मंत्री सेहो मौजूद छल। कार्यक्रम मे उपस्थित भेल बिहार सरकार केँ खाद्य एवं उपभोक्ता संरक्षण मंत्री मदन सहनी केर संग - संग नगर विधयाक संजय सरावगी देर राति धरी कार्यक्रम केर लुत्फ उठबैत नजैर अएला। कार्यक्रम केँ समाप्ति पर मैथली ठाकुर क' मिथिला पेंटिंग भेंट कायल गेल।