पटना : कबाड़ी दोकान मे लागल आगि सँ लाखों टाकाक सामान राख
पटना। 01 जनवरी। चांदमारी रोड इलाका के एक कबाड़ी दोकान मे देर राति आगि लायग गेल। आगिक चलते दोकान मे राखल लाखों केर सामान जलि केँ राख भ' गेल। बाद मे मौका पर पहुंचल दमकल के गाड़ी बहुत मशक्कत केँ बाद आगि पर काबू पेलक। कबाड़ी दोकान मे ई आगि कोना लागल फिलहाल ऐहिक खुलासा नहि भेल अछि। आस पासक लोगक मुताबिक समय रहैत आगि पर काबू पाएब लेल गेल। यदि आगि पर काबू नहि पाएल जेतिया तेँ बड़का नुकसान भ' सकैत छल। किएक जे दोकान सँ सटल अगल-बगल बहुतो दोकान छल।