पुणे जातीय हिंसाक विरोध मे महाराष्ट्र बंद, ट्रेन आओर बस सेवा पर बुरा असर, सड़क पर छाओल रहल सन्नाटा

मुंबई। 03 जनवरी। [जितमोहन झा (जितू)] पुणे केँ कोरेगांव भीमा इलाका मे भड़कल जातीय हिंसा केर विरोध मे आय बुध दिन महाराष्ट्र बंद केँ व्यापक असर देखबाक लेल भेटल। ठाणे मे धारा 144 लागू कायल गेल अछि, जखनकि औरंगाबाद मे इंटरनेट सेवा पर रोक लगाओल गेल अछि। बंद केर चलते ट्रेन सँ ल'क' सड़क यातायात धरी प्रभावित रहल।


महाराष्ट्र बंद केँ कारण पूरा प्रदेश मे बस सेवा पर सभसँ बेसी असर पड़ल अछि। पुणे सँ बारामती और सतारा धरी बस सेवा सेहो अगिला आदेश तक रोकल गेल अछि। सड़क पर वाहन कम भेला सँ लोग सभकेँ काज पर जेबा मे बहुत मुश्किलक सामना करे पड़ल। प्रदर्शनकारी सभक आक्रामक रुख क' देखैत मुंबईक घाटकोपर के रमाबाई कॉलोनी आओर ईस्टर्न एक्सप्रेस हाइवे मे सुरक्षा बल तैनात कायल गेल अछि। ऐहतियातक तौर पर कर्नाटक आओर महाराष्ट्रक बीच बस सेवा सेहो रोकल गेल अछि।

ठाणे रेलवे स्टेशन पर आंदोलनकारी सभ ट्रेन रोकी प्रदर्शन केलक। जाहिक चलते आवाजाही बहुत देर धरी बाधित भेल। नालासोपारा रेलवे स्टेशन पर बड़का संख्या मे प्रदर्शकारी सभ रेलवे ट्रैक पर बैसल छल। जाहिक कारण सँ मुंबईक लोकल ट्रेन सेवा प्रभावित रहल। फिलहाल प्रशासन प्रदर्शनकारी सभकेँ हटेबाक कोशिश मे जुटल अछि। प्रशासन आवाजाही सुनिश्चित करबाक लेल सुरक्षाक इंतजाम क' रहल अछि। 

मुंबईक ज्यादातर स्कूल सेहो आय बंद रहल। ओनाकि ऐहिक आधिकारिक घोषणा नहि भेल छल, मुदा बच्चा बहुत कम संख्या मे स्कूल पहुँचल। एहेन स्थिति मे स्कूल प्रशासन बच्चा सभकेँ वापस घर भेजवा देलक।

पुणे हिंसाक मामला आय संसद मे सेहो उठल। कांग्रेस नेता मल्लिकार्जुन खड़गे नियम 56 जखनकि कांग्रेस सांसद रजनी पाटिल नियम 267 केर तहत एहि मुद्दा पर चर्चाक लेल स्थगन प्रस्ताव केर नोटिस देलक। जनअधिकार पार्टीक नेता आओर मधेपुरा सँ सांसद पप्पू यादव एहो लोकसभा मे स्थगन प्रस्तावक नोटिस देलक। एम्हर राज्यसभा मे सीपीआई नेता डी. राजा 'दलित सभक खिलाफ बढ़ैत अत्याचार' केर मुद्दा पर शून्य काल नोटिस देलक। 

अपने क' बता दी भारिप बहुजन महासंघ केर अध्यक्ष डॉ. प्रकाश आंबेडकर महाराष्ट्र बंद केर घोषणा केना छल जाहिक समर्थन महाराष्ट्र लोकतांत्रिक गठबंधन, वामपंथी लोकतांत्रिक गठबंधन, जातिमुक्त आंदोलन परिषद आओर एल्गार परिषद मे शामिल 250 संगठन केर मोर्चा आओर संभाजी ब्रिगेड केना छल। 

गौरतलब अछि कि नव वर्ष केर उपलक्ष पर सोम दिन पुणे केँ कोरेगांव भीमा इलाका मे मराठा आओर दलित सभक बीच एक कार्यक्रम केर  दौरान हिंसक झड़प भ' गेल छल। भीमा-कोरेगांव युद्ध केँ शौर्य दिवसक आयोजन ल'क' भेल हिंसा मे एक गोटाक मौत भ' गेल छल। जातीय हिंसाक ई आगि कैल्हि मंगल दिन मुंबई सहित महाराष्ट्रक 18 जिला मे पसैर गेल छल। एहि सँ मुलुंड, कुर्ला, चेंबूर आओर मानखुर्द मे दलित बस्ती बला इलाका सभसँ बेसी प्रभावित रहल। 

अपने क' बता दी कि 1 जनवरी 1818क दिन अंग्रेज आओर पेशवा बाजीराव द्वितीय केर बीच कोरेगांव भीमा मे युद्ध भेल छल जाहिमे पेशवा क' अंग्रेज सभसँ पराजित हुवे पड़ल छल। ओहि समय ईस्ट इंडिया कंपनीक फौज मे भाड़ी संख्या मे दलित सेहो शामिल छल। एहि घटनाक 200 बरख पूरा भेला पर सोम दिन कोरेगांव भीमा मे कार्यक्रम केर आयोजन भेल जाहिठाम सँ ई जातीय हिंसा भड़कल।