
मधुबनी। 11 जनवरी। अंधराठाढ़ी थाना क्षेत्रक मगरोना गाम स्थित शुबा लाल दयावती संस्कृत सह मध्य विद्यालय केर शिक्षक दिगम्बर झा उम्र लगभग 58 बरख केँ कैल्हि बुध दिनक सांझ गौड़ गाछी लग सँ अपहरण भ' गेल। ओतहि अपहरणकर्ता सभ किछु दिन पहिने हुनक परिजन सभसँ 25 लाख टाका फिरौतीक मांग केना छल। सूचना भेटते मौका पर पहुंचल अंधराठाढ़ी पुलिस दिगम्बर झा केँ जूता आओर साइकिल बरामद केलक।
एहि बाबत पीड़ित परिजन सभ एसपी सँ न्याय केर गुहार लगौलनि अछि।
प्राप्त खबैर केर मुताबिक दिगम्बर झा नवटोली पस्टन गाम निवासी अंधराठाढ़ी बाजार सँ सांझ घर जायत छलथि। रास्ता मे गौड़ गाछी लग अपराधी सभक द्वारा हुंकार अपहरण क' लेल गेल। ओतहि दिगम्बर झा मगरोना गांव स्थित शुबा लाल दयावती संस्कृत सह मध्य विद्यालय केँ शिक्षक सेहो छथि।
परिजन सभक मुताबिक 15 दिसम्बर आओर 5 जनवरी क' अपराधी सभक द्वारा हुनकर पुत्र संतोष झा केर दूरभाष पर बेर - बेर धमकी देल जे रहल छल। एहि बाबत ओ अंधराठाढ़ी थाना मे आवेदन सेहो देना रहथिन। हुनकर आवेदन केँ थाना गंभीरता सँ नहि लेलक। अपहरण केँ सुचना भेटते एसपी दीपक बरनवाल आओर एएसपी निधी रानी अंधराठाढ़ी थाना पहूंच मामला केँ छानबीन शरू क' देना अछि। एसपी दीपक बरनवाल कहलनि कि अंधराठाढ़ी थाना मे अपहरण केँ मुकदमा दर्ज कायल गेल अछि आओर मामलाक पड़ताल कायल जे रहल अछि, जल्दे आरोपी सभकेँ गिरफ्तार क' लेल जायत।