परीक्षा केँ कदाचारमुक्त, शांतिपूर्ण एवं सुचारू पूर्वक संचालन करबाक लेल जिला पदाधिकारी डॉ. चंद्रशेखर सिंह व एसएसपी सत्यवीर सिंह दुनु गोटा संयुक्त आदेश निर्गत केना छथि। एहि परीक्षा मे जिलाक संपूर्ण वरीय प्रभार मे अपर समाहर्ता मो. मोबीन अली अंसारी रहता। परीक्षा केंद्र पर शांति-व्यवस्था बनेना रखबाक लेल 11 सँ 25 जनवरी धरी निषेधाज्ञा लागू कायल गेल अछि। परीक्षाक सफल संचालन हेतु स्टैटिक दंडाधिकारी, पुलिस पदाधिकारी एवं पुलिस बलक प्रतिनियुक्ति कायल गेल अछि।
हरेक परीक्षा केंद्र पर प्रतिनियुक्त स्टैटिक दंडाधिकारी, पुलिस पदाधिकारी एवं सशस्त्र बल भोर नौ बजे धरी पहुंच गेल छल। स्टैटिक दंडाधिकारी प्रतिनियुक्त पुलिस पदाधिकारी एवं पुलिस बल के सहयोग सँ परीक्षा केंद्रक मुख्य द्वार पर परीक्षार्थी सभक छान-बीन कायल गेल ताकि किनको लग कोनो अतिरिक्त चिट-पूर्जा, किताब, उपकरण, मोबाइल एवं ब्ल्यूटूथ आदि कदाचार करैय सँ संबंधित कोनो समान नहि रहे। परीक्षा केंद्रक भीतर परीक्षार्थी सभक अलावा अनाधिकृत व्यक्ति सभके प्रवेष वर्जित कायल गेल।
छात्रा बला परीक्षा केंद्र सभ पर दू-दू महिला पुलिस केँ प्रतिनियुक्ति कायल गेल अछि। जिला मे स्वच्छ, कदाचारमुक्त एवं शांतिपूर्ण परीक्षा सम्पन्न करेबाक लेल जिला नियंत्रण कक्ष बनाओल गेल अछि, जे 11 जनवरी सँ 25 जनवरी धरी कार्यरत रहत। जिला नियंत्रण कक्ष केँ दूरभाष संख्या – 06272-240600 अच्छी आओर जिला गोपनीय प्रशाखा केँ दूरभाष संख्या – 06272-245359 अछि।