बेगूसराय : प्रधानाध्यापक करौलनि शिक्षिका केर विरूद्ध मामला दर्ज

बेगूसराय (बीहट)। 11 जनवरी। महात्मा गांधी उच्च विद्यालय बीहट केँ कार्यालय मे मंगल दिन हंगामा करब व सरकारी काज मे बाधा डालब, गाली गलौज, जान सँ मारबाक धमकी ल'के विद्यालय केर प्रभारी प्रधानाध्यापक विजय कुमार चौधरी एफसीआई ओपी मे नियोजित शिक्षिका सरिता कुमारी केर विरूद्ध मामला दर्ज करौलनि। एफसीआई ओपी प्रभारी ज्योति कुमार लिखित आवेदन पर कांड संख्या 06/18 केर  तहत मामला दर्ज केना अछि। मामला दर्ज भेलाक बाद पुलिस द्वारा एखन धरी कोनो डेग नहि उठाओल गेल अछि। 

ओतहि विद्यालय शिक्षा समिति केर सदस्य दिनेश कुमार सिंह कहलनि कि आय 11 जनवरी केँ विद्यालय परिसर मे स्थानीय विधायक वीरेंद्र कुमारक संग ग्रामीण सभक एक बैठक आयोजित कायल गेल अछि, जाहिमे विद्यालय केँ गिरैत शैक्षणिक व्यवस्था व शिक्षक सभक द्वारा अभद्र व्यवहार ल'के आगुक  रणनीति तैयार कायल जायत। जानकार सभक मानी तेँ विद्यालय केर शैक्षणिक व्यवस्था केँ चौपट व विद्यालय मे गुटबाजी कराई बला दू शिक्षक नंदन कुमार एवं पीयूष पान केन सेहो विद्यालय सँ हटेबाक  मांग स्थानीय जनप्रतिनिधि आओर बुद्धिजीवि सभक द्वारा उठे लागल अछि।

एहि मामलाक विस्तृत जानकारी लेल नीचाँक लिंक देखि;