पटना। 08 जनवरी। आरजेडी सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव केर सजाक एलान होयबाक सदमा हुनकर बड़की बहिन गंगोत्री देवी बरदाश्त नहि क' पेलीह। एहि सदमा मे 75 वर्षीय गंगोत्री देवी केँ कैल्हि (रविदिन) पटना वेटनरी कॉलेज आवास पर निधन भ' गेलनि।
चारा घोटाला मे अप्पन भाई केर सकुशल रिहाई लेल गंगोत्री देवी पछिला दू दिन सँ भगवान सँ प्रार्थना करैत रहथिन। गंगोत्री देविक निधन केर खबैर भेटते राजद सुप्रीमो लालू प्रसादक परिवार मे शोकक लहर दौड़ गेल।