मुजफ्फरपुर : गैस सिलेंडर फटला सँ कैको घर मे लागल आगि

मुजफ्फरपुर। 08 जनवरी। पुलिस लाइनक दादर पुलक दादर गाम लग कैल्हि देर राति एकाएक गैस सिलेंडर फटला सँ कैको घर मे आगि लागि गेल। आगि एतेक भयावह छल कि आगि पर काबू पएबाक लेल बहुत मशक्कत करे पड़ल। 

प्राप्त खबैर केर मुताविक एक केँ बाद एक करी करीब 6 सिलेंडर ब्लास्ट भेल छल। सिलेंडर ब्लास्ट कोना भेल फिलहाल ऐहिक जानाकरी नहि भेट सकल अछि। पूरा गम मे अफरा तफरीक माहौल बनल अछि। आगि एतेक  भयंकर छल कि लोग आगिक लग जेबा सँ डरैत देखार देलक। 

एम्हर एहि आगि मे जान माल केर क्षतिक आंकलन नहि कायल जे सकैछ। मुदा आगिक भयावह रूप देखि बहुत नुकसानक अनुमान लगाओल जे सकैछ।