ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे छात्र संघक चुनाव 18 फरवरी केँ होयत

दरभंगा। 18 जनवरी। ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे छात्रसंघ चुनावक तिथि घोषित क' देल गेल अछि। कॉलेज स्तर पर पांच सदस्यीय ऑफिस बियरर, विवि स्तरीय काउंसिल मेंबर व काउंसिल मेंबर ऑफ फैकल्टी केर चुनाव 18 फरवरी केँ होयत। चुनावक अधिसूचना 24 जनवरी केँ जारी कायल जायत। मतदाता सूचीक प्रकाशन 28 जनवरी केँ होयत।  उम्मीदवार अप्पन नामांकन 9 आ 10 फरवरी केँ जमा करा सकता। 

नामांकन पत्रक जांच 11 फरवरी केँ कायल जायत। नाम वापसी 12 फरवरीक शाम 4 बजे धरी भ' सकत। ओहि दिन सांझ पांच बजे धरी वैध उम्मीदवार सभक नाम जारी क' देल जायत। चुनाव प्रक्रियाक देखरेख लेल   विश्वविद्यालय मॉनीटरिंग कमेटी केर गठन कायल गेल अछि। सीसीडीसी डॉ मुनेश्वर यादव केँ समन्वयक बनाओल गेल अछि। 

कमेटी मे डीएसडब्ल्यू डॉ भोला चौरसिया, कुलानुशासक डॉ अजय नाथ झा, पीजी रसायन विभाग के डॉ रतन कुमार चौधरी, विकास अधिकारी डॉ केके साहु शामिल छथि। कैल्हि बुध दिन कुलपति प्रो. सुरेंद्र कुमार सिंह  अंगीभूत कालेज सभक प्रधानाचार्यक बैठक मे चुनाव ल'केँ दिशा-निर्देश देलनि। कुलपति चुनाव संपन्न करेबाक लेल विश्वविद्यालय स्तर पर ग्रीवांस सेल गठित केलनि। अध्यक्ष छात्र कल्याण डॉ भोला चौरसिया केँ एहि सेलक चेयरमैन नामित कायल गेल अछि।

सेल मे वाणिज्य संकाय अध्यक्ष डॉ अजीत कुमार सिंह, कुलसचिव मुस्तफा कमाल अंसारी, कुलानुशासक डॉ अजय नाथ झा, विधि पदाधिकारी चंद्रजीत राय एवं प्रधानाचार्य डॉ मुश्ताक अहमद केँ सदस्यक रूप मे शामिल कायल गेल अछि। नामांकन पर्चा दाखिल करय बला जाहि सदस्य सभकेँ स्टेट्यूट केर बाबत जानकारी वा शिकायत होयत ओ एहि सेल मे आवेदन देता। सेलक स्तर सँ समस्याक निवारण कायल जायत। एहि तरहे कॉलेज स्तर पर सेहो प्रधानाचार्य केँ ग्रीवांस सेल गठित करबाक निर्देश देल गेल अछि। कॉलेज स्तर पर गठित होमै बला सेल मे प्रधानाचार्य चेयरपर्सन हेता। संगहि कॉलेजक दू शिक्षक सेल मे बतौर सदस्य शामिल हेता।