बीजेपी नेत्री संजना तांती सहरसा सँ लापता, 12 तारीख केँ गेल छली अप्पन नानी सँ भेंट करे

सहरसा। 18 जनवरी। सदर थाना क्षेत्रक पटुआहा पंचायत स्थित घर सँ गत 12 जनवरी केँ अप्पन नानी सँ भेंट करे निकलल बीजेपी नेत्री संजना तांती एखन धरी घर वापस नहि आयल छथि। हुनकर पति गौरीशंकर चौपाल हुनका रिश्तेदार सभक संगे संग दिल्ली धरी हेरलनि मुदा कतहुँ कोनो पता नहि चलल।


एहि मामला मे नेत्री केँ पति सदर थाना मे प्राथमिकी दर्ज करौलनि अछि। लापता नेत्री बीजेपी नेता गत विधानसभा चुनाव मे जन अधिकार पार्टीक टिकट पर चुनाव लड़ल छली। जखनकि गत पंचायत चुनाव मे पटुआहा पंचायत सँ मुखिया पदक लेल उम्मीदवार छली।  

गायब नेत्रीक पति गौरीशंकर पुलिस सँ कहलनि कि 12 जनवरी केँ हुंकार  पत्नी नानी गाम जेबाक लेल पटुआहा निकलल छली। हुनकर नानी बूढ़ आओर बीमार छली। जाहि कारण पटुआहा गेलाक बाद बेसी काल ओ ओता रही जायत छली आओर अगला दिन आबैत छथि। मुदा ओ वापस नहि आयल छथि। जाहिक बाद सभ रिश्तेदारक संगे संग सहरसा सँ ल'केँ दिल्ली धरी पता कायल गेल मुदा कोनो जानकारी नहि भेटल। हुनकर मोबाइल सेहो बंद बता रहल अछि।  

एहि मामला मे थानाध्यक्ष आरके सिंह कहलनि कि प्राथमिकी दर्ज करी लापता महिलाक खोज शुरू क' देल गेल अछि। अपने क' बता दी कि किछु दिन पहिने ओ भाजपा मे शामिल भेल छली।