झारखण्ड मिथिला मंच केलक 'स्व. विश्वंभर झा' केर स्मृति मे साहित्यकार सभकेँ सम्मानित करबाक घोषणा

रांची। 08 जनवरी। मैथिली सम्मान दिवसक अवसर पर कैल्हि रवि दिन 'झारखण्ड मिथिला मंच' द्वारा संकल्प सभा केर आयोजन कायल गेल। सभा केर अध्यक्षता साहित्य अकादमी पुरस्कार सँ सम्मानित रामदेव झा केलनि। 

झारखण्ड मिथिला मंच एहि बरख 12 सँ 14 अप्रैल धरी आयोजित होमै बला विद्यापति पर्व समारोह मे मैथिलीक बहुचर्चित साहित्यकार सभकेँ 1 लाख 11 हजार टाकाक राशि द' सम्मानित करत। ई सम्मान स्व.विश्वंभर झा केर स्मृति मे देल जायत, ऐहिक लेल रांची दूरदर्शन केंद्र केँ पूर्व निदेशक प्रमोद कुमार झा केर देखरेख मे एक निर्णायक समिति केर गठन कायल गेल। सभा क' सम्बोधित करैत महासचिव संतोष झा कहलनि कि झारखण्ड मिथिला मंच जल्दे पांडुलिपि प्रकाशन केर सेहो घोषणा करत। 

कैल्हिक सभा मे रामदेव झा, डॉ. गुणेश्वर झा, सियाराम झा सरस, गंगा प्रसाद यादव, डॉ. कृष्ण मोहन झा, अध्यक्ष श्रीपाल झा, ब्रह्मानंद झा, सुजीत झा सहित बहुत राह लोग उपस्थित छला। एहि अवसर पर स्व. राज मोहन झा केर पुण्यतिथि पर हुनका श्रद्धा सुमन अर्पित कायल गेल।