'अखिल भारतीय मिथिला पार्टी' केलक मधुवनी जिला कमीटी केर ओपचारिक घोषणा

मधुबनी। 08 जनवरी। कैल्हि अखिल भारतीय मिथिला पार्टी केर मधुवनी जिला कमीटीक ओपचारिक घोषणा भेल, संगहि प्रेस कॉन्फ्रेंस सेहो भेल।  एहि सभा मे पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष श्री शिलानाथ मिश्र सभ नौंवान केँ अप्पन स्वभिमानक संग मिथिला राज्य आ मिथिलाक विकासक लेल जोर शोर सँ लड़ाई लड़बाक सुझाव देलनि। सभा मे उपस्थित पार्टीक राष्ट्रीय महासचिव मैथिल संजय मिश्र साफ शब्द कहलनि कि 2020 केँ बिहार विधानसभा चुनाव मे मिथिलाक धरातल सँ 20 गोट विधायक ABMP केँ रहत आओर 2021 मे मिथिला राज्यक स्थापना होयत। 

सभा क' सम्बोधित करैत मिथिलाक प्रखर आन्दोलनी श्री कमलेश जी कहलनि कि आय धरी जतेक मिथिला राज्यक लेल काज करनिहार भेलथि हुनका सभ लग मिथिला राज्यक लेल समय सीमा निर्धारित नहि छल, मुदा ABMP मिथिला राज्यक स्थापना करबाक समय सीमा 2021 तय क' देना अछि, ताहिक लेल सभ मैथिल केँ एकजुट भ' अखिल भारतीय मिथिला पार्टीक सपोर्ट करबाक चाही। एहि अवसर पर उदयशंकर मिश्र जी कहलनि कि अखिल भारतीय मिथिला पार्टीक निरंतर प्रयास सँ आब बुझा रहल अछि कि सही मे 2021 मे मिथिला राज्य भेटत। कैल्हिक सभा मे आनंद झा मैथिल, मधुवनी जिलाक टीम संग मधुवनीक गाम - गाम पहुंच बूथ लेबल धरिक टीम जल्दे गठन करबाक प्रतिज्ञा लेलनि।