जाड़ आओर शीतलहर सँ मिथिलाक हाल बेहाल, पछुआ हवा सँ एखन कोनो राहत नहि भेटत

सहरसा। 08 जनवरी। पूरा मिथिलांचल समेत उत्तर भारत मे जाड़ आओर शीतलहरक कहर लगातार बढ़ते जे रहल अछि। पूरा मिथिलांचल मे जाड़ आओर शीतलहर लोग सभक जियब दुर्लभ क' देना अछि। जाड़क ठिठुरन सँ सड़क सभ पर सन्नाटा पसरल अछि। ग्रामीण इलाका मे सेहो लोग घर सँ बाहर नहि निकैल रहल अछि।

मौसम विभाग अप्पन पूर्वानुमान मे कहने अछि कि अगिला 24 घंटाक दौरान राज्यक अधिकांश हिस्सा मे तेज पछुआ हवा बहत, जाहिसँ तापमान मे गिरावट दर्ज कायल जायत। अधिकतम तापमान 14 डिग्री सँ 16 डिग्री सेल्सियस तक रहबाक जखनकि किछु क्षेत्र मे न्यूनतम तापमान 3 डिग्री सेल्सियस तक नीचा गिरबाक संभावना अछि। 

मौसम विज्ञान केन्द्र केर आंकड़ाक मुताबिक, कैल्हि रवि दिन बिहार मे सभसँ ठंडा गया जिला रहल। जता न्यूनतम तापमान 2.8 सेल्सियस दर्ज कायल गेल। ऐहिक बाद सभसँ ठंडा भागलपुर रहल, जता न्यूनतम तापमान 3.1 रहल। कैल्हि रवि दिन सहरसा केँ न्यूनतम तापमान 5.9 जखनकि दरभंगा केँ 6.1 डिग्री सेल्सियस रहल।