ई मामला सीवान जिलाक दरौंदा विधान सभा क्षेत्र सँ जुड़ल अछि, जाहिठामक जदयू अति पिछड़ा प्रकोष्ठ केर प्रखंड अध्यक्ष राजकुमार ठाकुरक शराब केर बोतल संग नव वर्षक जश्न मनबै बला फोटो व्हाट्सएप्प आओर फेसबुक पर वायरल भेल अछि। अपने क' बता दी कि राजकुमार ठाकुर दरौंदा प्रखंडक रसूलपुर पंचायतक मुखिया सेहो छथि। ऐहिक संगे हुनकर पार्टी मे नीक पकड़ सेहो अछि। राजकुमार ठाकुर स्थानीय विधायक केँ पति अजय सिंहक बहुत करीबी सेहो बताओल जायत अछि। ओनाकि शराबक संग फोटो सामना अएलाक बाद पार्टी द्वारा राजकुमार ठाकुर क' पार्टी सँ निष्कासित क' देल गेल अछि।
ओतहि स्थानीय विधायक कविता सिंह केर पति आओर जदयू नेता अजय सिंह ऐहिकेँ राजकुमार ठाकुरक खिलाफ बड़का साजिश बता रहल छथि। अजय सिंह कहलनि कि राजकुमार ठाकुर क' ओ खून नीक जोका चिन्हैत छथि ओ खैनी वा गुटखा तक नहि खायत छथि। शराब पीनाय बहुत दूरक गप अछि। अजय सिंह केर मानी तेँ ई सब रसूलपुरक पूर्व मुखिया केर साजिश अछि जाहिमे राजकुमार ठाकुरक ड्राइवर सेहो शामिल अछि। राजकुमार ठाकुर नव वर्षक पिकनिक मनबे उत्तर प्रदेशक कुशीनगर गेल छला। जता हुनकर ड्राइवर धोखा सँ राजकुमार ठाकुरक माथ पर शराब सँ भरल गिलास आओर बोतल क' देखबैत फोटो खींचलक आओर फेर ओकरा प्रशासन क' व्हाट्सएप्प क' देलक। अजय सिंह राजकुमार ठाकुर क' निर्दोष बतबैत पुलिस-प्रशासन सँ एहि मामलाक निष्पक्ष रूप सँ जांच करेबाक मांग केलक।