पटना। 17 जनवरी। बिहार विद्यालय परीक्षा समिति इंटर वार्षिक परीक्षा - 2018 केँ एडमिट कार्ड आय जारी करत। दुपहर तीन बजे सँ एडमिट कार्ड जारी भ' जायत। बिहार विद्यालय परीक्षा समिति केर अध्यक्ष आनंद किशोरक मुताबिक परीक्षार्थि सभक प्रवेश पत्र समिति केर वेबसाइट (www.srsec.bsebbihar.com) पर उपलब्ध कराओल जायत। प्रवेश पत्र डाउनलोड करबाक बाद संबंधित स्कूलक प्राचार्य प्रवेश पत्र पर हस्ताक्षर आओर मुहर लगेबाक बादे परीक्षार्थि सभकेँ देत।
प्रवेश पत्र मे कुनु त्रुटि सुधारक लेल संबंधित विद्यालय केँ प्राचार्य 20 जनवरी तक ऑनलाइन आवेदन का' सकत जाहिक बाद सुधारक संग प्रवेश पत्र 23 जनवरी केँ समितिक वेबसाइट पर अपलोड क' देल जायत। बोर्डक मुताबिक प्रैक्टिकलक लेल जारी प्रवेश पत्रक आधार पर थ्योरीक परीक्षा मे बैसबाक अनुमति नहि होयत। अपने केँ बता दी कि बिहार मे इंटर केर परीक्षा 6 सँ 16 फरवरीक बीच होयत।