पप्पू यादव केँ बेटा बिना खेलना 'अंडर-23' क्रिकेट टीम मे शामिल, टॉप स्कोरर केँ नहि भेटल टीम मे जगह

मधेपुरा। 09 जनवरी। सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादवक बेटा सार्थक रंजन केँ दिल्लीक अंडर-23, टी-20 टीम मे एहि सिजनक लेल बिना कोनो मैच खेलना शामिल क' लेल गेल अछि। अपने क' बता दी कि पछिला बेर सेहो मुश्ताक अली टूर्नामेंट मे सार्थक केर चयन विवादास्पद रहल छल। जाहि टूर्नामेंट मे  खेलल गेल तीन मैच मे सार्थक मात्र 10 रन बनेना छल।  तीन मैच मे सार्थक 5, 3, आओर 2 रन बनेना छल। 

दोसर दिस अंडर - 23 मे शीर्ष स्कोरर रही चुकल हितेन दलाल क' रिजर्व खेलाड़ी सभमें जगह भेट सकल अछि। हुनके जगह पर पप्पू यादवक बेटा केँ जगह देल गेल अछि। 

ओतहि चयन समिति केँ तीन सदस्य जाहिमें अतुल वासन, हरि गिडवानी आओर रॉबिन सिंह जूनियर शामिल छथि। एहि तीन सदस्यीय चयन समिति क' नीक प्रदर्शन करनिहार किछु खेलाड़ी सभक अनदेखी करब आओर प्रभावशाली लोग सभक बेटा क' जगह देबाक लेल चौतरफा आलोचना केर सामना करे पैड़ रहल अछि। अपने क' बता दी पप्पू यादव मधेपुरा सँ सांसद छथि। हुनकर आधिकारिक नाम राजेश रंजन अछि।  पप्पू यादव पहिने राष्ट्रीय जनता दल (राजद) सँ जुडल छला। मुदा आब अप्पन पार्टी जन अधिकार पार्टी बना लेना छथि।