डीएमसीएच केँ गैर स्टोर (डायट विभागक रूम) मे राखल लाखो टाकाक कम्बल पैन मे भीज बर्बाद भ' गेल अछि। ऐही कंम्बल केर खरीददारी बरसात सँ पहिने कायल गेल छल। एहि बातक खुलासा तखन भेल जखन सर्जरी विभागक एक कर्मी केँ कम्बल देबाक लेल डॉयट विभागक ऐही कमरा केँ खोलल गेल। कमरा में चारि गोट बंडल मे 40 कम्बल, 38 गद्दा, चारि गोट बंडल मे राखल पर्दा आओर चादर, बिजलीक केबल-तार सहित आन कैको महत्वपूर्ण सामग्री राखल अछि।
प्राप्त खबैर केर मुताबिक एहि स्टोर मे बीतल बरसात मे पैन घुसल छल। मुदा डीएमसीएच प्रशासन ऐहिक सुध नहि लेलक। नतीजा ई भेल जे स्टोर मे राखल कम्बल आओर कपड़ा पैन मे भीजलाक बाद सड़बाक कगार पर पहुंच गेल अछि। एतबे नहि लाखो टाकाक आन सामग्री अस्पताल उपाधीक्षकक जर्जर भवन मे राखल अछि, ओहियो कमरा केँ एखन धरी खोलल नहि गेल अछि। एहि कमरा मे राखल सामग्री नष्ट होबाक आशंका अछि।
जानकार सभक कहब अछि कि एहि स्टोर सभक सामग्री पैन मे पूरा भिज गेल छल मुदा जलजमाव समाप्त भेलाक बादो डीएमसीएच प्रशासन एहि सामग्री सभक सुध नहि लेलक। समय रहैत यदि एहि पर ध्यान देल जेतिए तेँ ई सभ सामग्री बर्बाद नहि हेतिए। ओनाकि छानबीन वा जांच पड़ताल मे आओर बेसी सामग्रीक बर्बाद होयबाक संभावन जाताओल जे रहल अछि। एम्हर जाड़ सँ ठिठुरी रहल मरीज सभकेँ कम्बल नसीब नहि भ' रहल अछि। मरीज सभक बेड पर चादर नहि अछि। गददा बिना मरीज ठिठुरी रहल अछि आ लाखो टाकाक कम्बल, गद्दा आओर चादर आदि सड़ी गेल।