पुणे हिंसाक आगि महाराष्ट्रक दोसरो इलाका मे भड़कल, तोड़फोड़-आगजनी सँ तनाव

मुंबई। 02 जनवरी। [जितमोहन झा (जितू)] पुणे मे दू समुदाय केँ बीच भेल जातीय हिंसाक असर महाराष्ट्रक आन इलाका सभमे सेहो देखल जे रहल अछि। आय मंगल दिन मुंबईक अलावा, हड़पसर व फुरसुंगी मे बस सभ पर पथराव कायल गेल। ऐहिक बाद औरंगाबाद आओर अहमदनगरक लेल  बस सेवा निरस्त क' देल गेल। अपने क' बता दी कि नव वर्षक मौका पर पुणे केँ कोरेगांव भीमा गाम मे शौर्य दिवस मनाओल गेल छल जाहिक बाद सँ दू समुदाय केँ बीच झड़प भ' गेल छल। एहि दौरान एक गोटाक मौत सेहो भ' गेल छल। सांझ करीब साढ़े चारि बजे पुणे सँ अहमदनगरक बीच बस सेवा बहाल कायल गेल।


पुणे केँ जातीय हिंसा पर महाराष्ट्र केर मुख्यमंत्री प्रतिक्रिया दैत कहलनि कि ई सरकार क' बदनाम करबाक साजिश अछि। सरकार ऐहिक न्यायिक जांच केर आदेश द' देना अछि। मुख्यमंत्री देवेंद्र फडनवीस मृतकक परिजन क' 10 लाख टाकाक मुआवजा देबाक घोषणा सेहो केलनि। 


अपने क' बता दी पुणे केँ जातीय हिंसाक आगि आय महाराष्ट्रक कैको इलाका मे पसैर गेल । एहि दौरान मुंबईक कुर्ला, मुलुंड, चेंबूर आओर ठाणे मे सरकारी बस सभ पर पथराव आओर रास्ता रोकबाक कैको घटना सामना आयल। कैको इलाका मे तनाव केर स्थिति एखनहुं बनल अछि। प्राप्त खबैर केर मुताबिक चेंबूर मे ऐम्बुलेंस मे तोड़फोड़ कायल गेल अछि। ओम्हर, कुर्ला - गोवंडीक बीच रेल यातायात सेहो बाधित बताओल जे रहल अछि। नवी मुंबई क' जोड़े बला हार्बर लाइन चेंबूर मे ठप अछि। घाटकोपर मे ईस्टर्न एक्सप्रेसवे क' जाम कायल गेल अछि। 

अपने क' बता दी कि 1 जनवरी 1818क दिन अंग्रेज आओर पेशवा बाजीराव द्वितीय केर बीच कोरेगांव भीमा मे युद्ध भेल छल जाहिमे पेशवा क' अंग्रेज सभसँ पराजित हुवे पड़ल छल। ओहि समय ईस्ट इंडिया कंपनीक फौज मे भाड़ी संख्या मे दलित सेहो शामिल छल। एहि घटनाक 200 बरख पूरा भेला पर कैल्हि सोम दिन कोरेगांव भीमा मे कार्यक्रम केर आयोजन भेल जाहिठाम ई घटना घटल।