नव वर्षकेँ पहिले दिन पिटा गेला बिहारक नगर विकास मंत्री 'सुरेश शर्मा'

पटना। 02 जनवरी। बिहारक नगर विकास मंत्री सुरेश शर्मा नव वर्ष पर पश्चिम बंगालक धर्मनगरी तारापीठ केर दर्शन करे पहुंचल छला। एहि दौरान एक होटेल मे होटलक स्टाफ संग हुनकर बहस भ' गेल। होटलक कर्मचारी सभ सुरेश शर्मा आओर हुनकर साथ पहुंचल लोग सभक धुनाई क' देलक।

मुजफ्फरपुर सँ बीजेपी विधायक सुरेश शर्मा किछु लोगक संग तारापीठ के दर्शन सँ पहिने एक होटल सोनार बंगला मे पहुंचला। एहिठाम मंत्री जीक कहब छल कि जखन मौसम सर्दीक अछि, तेँ एसी बला कमरा मे एसी चार्ज किएक दी? ऐना मे मंत्री जी बुकिंग चार्ज वापस करबाक मांग केलनि। एहि मामला ल'क' होटलक स्टाफ आओर हुनकर समर्थक सभक बीच बहस भ' गेल, जे बाद मे माएरपीट मे बदैल गेल। 

विधायक के पर्सनल सेक्रटरी संजीव कुमार कहलनि कि हम सभ दू कमरा बुक केना रही। जाहिमें एक मे एसी छल आओर दोसर चैर बेडरूमक छल। ई कमरा हमरा सभक उम्मीद केर मुताबिक नहि छल। जखन हम सभ नीक कमरा देबाक बात कहलो त' होटलक कर्मचारी सभ हमरा सभक संग गलत व्यवहार केलक। हम सभ होटल से जाय लेल चाहैत छलौ आओर बुकिंग चार्च वापस करबाक मांग अएलहुँ। एहि बात पर तमसा क' होटलक कर्मचारी सभ माएरपीट करे लागल।