भातिजक हत्या करबाक आरोप मे पुलिस केलक चाचा क' गिरफ्तार

दरभंगा। 03 जनवरी। [प्रणव कुमार चौधरी] दरभंगा पुलिस ऐगो हत्यकाण्डक आरोपी क' 48 घण्टाक भीतर गिरफ्तार क लेबाक दावा केने अछि। तद्यपि एखन बहुत रास सवालक जवाब भेटब बांकीअछि। पुलिसक मानी त' केवटी थाना क्षेत्रक ननौरा गांव निवासी नवीन कुमार यादव केर  हत्यारा कियो दोसर नहि बल्कि, हुनकर सहोदर चाचा छलथि। पुलिस  समस्तीपुर मे छापामारी करी चाचा विंदेश्वर यादव क' गिरफ्तार केना अछि। विंदेश्वर यादव केँ जेब सँ मृतक नवीन केर मोटरसाइकिलक चाभी सेहो बरामद भेल अछि। कहल जाइत अछि कि अनुसंधानक क्रम मे जखन पुलिस विंदेश्वर केर घर छापामारी केलक त' ओतैय सँ नवीनक चप्पल सेहो भेटल। ऐहिक बाद विंदेश्वर पर कैल जे रहल शक सच्चाई मे बदैल गेल।

पुलिस हुनकर खोज में पहिले विंदेश्वर के ससुराल में छापेमारी केलक । मुदा, तब तक उ ओही जगह स फरार भ चुकल छेलैथ।ऐहीके बाद पुलिस के गुप्त जानकारी भेटल की उ भाइगक समस्तीपुर चैल गेल हन। ऐहीके बाद एएसपी दिलनवाज अहमद क नेतृत्व में गठीत टीम छापामाइर कर विंदेश्वर यादव के समस्तीपुर से दबोच  लेलक। एएसपी श्री अहमद कहला कि ऐही घटना में ओर लोग सबहक हाथ भ सकैत अछि ओही दिशा में वैज्ञानिक अनुसंधान कैल जा रहल अछि। उ कहला कि दुनु के बीच भूमि विवाद व लेनदेन के बात सामने ऐल हन। लेकिन, हत्या के असली कारण अखन पता नैय चैल पैल हन। 

पूछातछक दौरान विदेंश्वर पुलिस के गुमराह करैत रहला। उ कहला कि नवीन के घर से ले  जाय के बाद मठियानी वाली के ओत ताड़ी पीबै लेल गेला। वापस आबैत समय हुनका चौके के पास छोड़ देलक। लिकिन, जखन पुलिस ताड़ी की दुकान पर जा जानकारी लेलक त पता चलल कि दुनु में से कियौ ऐत नैय ऐल छेलैथ। हालांकि, वैज्ञानिक अनुसंधान में पता चलल कि विंदेश्वर यादव ओही वक्त रमसल्ला गांव में छेलैथ। बताओल जा रहल अछि कि वहां चाचा और भतीजा मिलकर देशी शराब पीने छेलैथ।ऐहीके बाद चाचा अप्पन भतीजा के मडर  क देलक।

ओना नवीन हत्याकांड में पुलिस विंदेश्वर यादव के दामाद के सेहो हिरासत में लेने छल। मुदा, अनुसंधान में उ निर्दोश निकलला। हालांकि, नवीन के परिवारिक लोग सब हुनको दोषी बतेने छेलैथ। एएसपी दिलनवाज अहमद कहला कि घटना में अखन तक विंदेश्वर के दामाद ओर दोमे ढ़ेरीचक गांव निवासी विकास कुमार यादव की संलिप्ता सामने नैय ऐल हन। यैह लेल पुलीस हुनका तत्काल पीआर बाउंड पर छोड़ल गेल हन। लेकिन, अनुसंधान में अगर कतौ से भी हुनकर सबहक संलिप्ता सामने आबैत अछि त हुनका फेर गिरफ्तार क लेल जैत।

अपने के बता दी जे ननौरा गांव निवासी नवीन कुमार यादव 29 दिसंबर के शाम 7 बजे लापता भ गेल छेलैथ। पूछताछ में पता चलल कि हुनका अप्पन सगा चाचा विदेंश्वर यादव बजा क ल गेल छेलैथ। मुदा जखन उ  काफी  राइत  तक वापास नैय ऐलैथ त परिवारिक लोग सब अनहोनी के आंशका जताब लगलैथ। पूरा राइत लोग हुनका खोजैत रहला। लेकिन, 30 दिसंबर के रात्रि नवीन के अता-पता नैय चलल। हाइर थाइक कर नवीन के मां रूणा देवी 31 दिसंबर क थाना में अज्ञातक खिलाफ अप्पन पुत्र के अपहरण के प्राथमिकी दर्ज करेली। ऐहीके बाद पुलिस नवीन के खोज में हाथ-पांव मार लगला। लेकिन, 1 जनवरी को घरक नजदीक तालाब स नवीन के शव बरामद कैल गेल। ऐहीके  बाद चाचा विंदेश्वर यादव, हुनकर पत्नी व पुत्र घर स फरार भ गेल छेलैथ।