जाड़ लेलक प्रचंड रूप, पछुआ हवा सँ कांपी रहल अछि मिथिलांचल, पारा भेल 5 डिग्री सेल्सियस

दरभंगा। 05 जनवरी। बिहार समेत समूचा उत्तर भारत मे भीषण शीतलहरक कारण जाड़क कहर जारी अछि। राज्य मे पछिला चारि दिन सँ कोल्ड-डे (शीतलहर) केर स्थिति बनल अछि। राजधानी पटना सहित राज्यक सभ हिस्सा मे जाड़क कहर जारी अछि। दरभनग, मधुबनी, सुपौल , सहरसा समेत कैको जिला मे पछिला कैको दिनसँ पछुआ हवा केर कारण कपकपी बनल अछि आओर तापमान मे सेहो गिरावट दर्ज कायल गेल अछि।  

राज्य मे कैलहि न्यूनतम तापमान 5.2 डिग्री सेल्सियस दर्ज कायल गेल, जे एहि बरख सभसँ कम अछि। मौसम विभागक मुताबिक अगिला एक-दू  मे तापमान मे आओर गिरावट आयत। एहि दौरान रातिमें ओस छाओल रहत आ ठंड हवा सेहो चलत। अपने क' बता दी  एहि भीषण शीतलहर मे सभसँ बेसी खराब स्थिति गरीब मजदूर सभक घरक अछि, एहेन लोग सभक आजीविकाक लेल मजदूरी करई मे दिक्कत भ' रहल अछि।