प्रेमिका सँ लाइव विडियो बात करैत प्रेमी युबक खुद केँ मारलक गोली

पटना। 30 जनवरी। विडियो कॉलक दौरान प्रेमिका सँ बिआहक रजामंदी नहि भेटला सँ नाराज युवक खुद केँ गोली मारलक। पुलिसक मुताबिक़, 19 बरखक इंटर केँ छात्र आकाश कुमार उर्फ बंटी अप्पन सयन कक्ष सँ लड़की सँ फोन पर बात करैत छलाह। ई वाकया करीब 3 बजे रातिक अछि। लड़की अपना तरफ सँ बहुत बुझेबाक कोशिश केलक कि लड़का शांत भ' जाए, ओ नहि मानलक।

कैल्हि सोम दिनक भोर युवक केँ शव हुनकर कमरा सँ बरामद भेल। हुनकर हाथ मे पिस्टल आओर मोबाइल सेहो भेटल अछि। लड़कीये पुलिस क' सुचना देली कि रति मे हुनका सँ बात करैत युवक खुद केँ गोली मारलक। 

एम्हर पुलिस ई दावा केना अछि कि विडियो कॉल करैत आत्महत्या करबाक धमकी भरल मैसेज सेहो लड़की केँ कायल गेल छल। फिलहाल पुलिस एहि मामलाक फरेंसिक जांच सेहो करवा रहल अछि।