मधुबनी : मिथिला कप - 2018 केँ तेसर क्वारटर फाइनल मैच गुणा एलेवन‌ पिलखवाड़ 5 विकेट सँ जीतल

मधुबनी। 30 जनवरी। [विनोद शंकर झा लड्डू] युगांतर ट्रस्ट, पटना केर तत्वावधान मे पंडित ताराकान्त झा स्मृति क्रिकेट टूर्नामेंट, शिवनगर मैदान पर खेलल गेल। मिथिला कप 2018 केँ तेसर क्वारटर फाइनल  मैच मे गुणा एलेवन‌ पिलखवाड़, मधुबनी यंग रिबेल चिकना, फुलपरास केँ 5 विकेट सँ पराजित करी सेमीफाइनल मे प्रवेश क' लेलक। 

टाॅस जीत पहिने बल्लेबाजी करैत यंग रिबेल चिकना 17.3 ओवर मे सभ  विकेट गवेबाक बाद मात्र 87 रनक आसान स्कोरक लक्ष्य राखलक। कसल गेंदबाजी आओर नीक क्षेत्ररक्षणक सामने यंग रिबेल चिकना टीम केँ लगातार विकेट गिरैत रहल आओर उबारबाक कोनो मौका गुणा टीम नहि देलक। 

बल्लेबाजी करे आयल गुणा एलेवन‌ पिलखवाड़ टीम पाहिले ओवर मे आक्रामक बल्लेबाजी करैत 22 रन बना देलक, मुदा चिकना केँ गेंदबाज अमर अप्पन एकहि ओवर मे मेडन, दू विकेट लेलक। गेंदबाज अमर 23 रन पर तीन विकेट ल' अप्पन टीमक लेल जोरदार वापसी केलक। मुदा हारफनमौला खिलाड़ी पवन शानदार 53 रन बना मैच क' एकतरफा क' देलक।


कैल्हिक मैच केँ अतिथि जिला परिषद् पति श्री रंधीर ठाकुर पवन केँ मैन आॅफ द मैचक पुरस्कार बल्ला देलनि ओतहि मधुबनी वार्ड मेम्बर अध्यक्ष श्री राजकुमार झा प्रशस्ति पत्र देलनि। उपविजेता रही चिकना टीमक कप्तान विनय केँ सांत्वना पुरस्कारक रूप मे अभिभावक सह वार्ड मेम्बर श्री कौशल झा कप देलनि।

एहि मौका पर उपस्थित अतिथि सभ आयोजन समिति केँ खूब प्रशंसा केलनि आओर एहि आयोजन क' अनुमंडल स्तरीय करबाक प्रस्ताव देलनि संगहि हर संभव सहयोग करबाक पेशकश केलनि। पंडित ताराकांत झा केँ मिथिलांचल मे रहल प्रादुर्भाव आओर संग रहल व्यक्तिगत अनुभव केँ साझा केलनि आओर अंत मे अध्यक्ष सह मैरीन चीफ इंजिनियर विनोद शंकर झा लड्डू, कमिटी सदस्य समीर मोनू, अजित, शैलेन्द्र कुमार मिश्र, नंदन, मुरारी ,दीपक, गणपति, राहुल,विकास,श्याम, आदि केँ सहयोगक लेल धन्यवाद देलनि। चारिम आ अंतिम क्वारटर फाइनल मैच आय 30 जनवरी केँ परजुआरि आओर ठेकहा केँ बीच शिवनगर मैदान पर खेलल जायत। 

युगान्तर ट्रस्ट द्वारा प्रायोजित मिथिला कप- 2018 - लीग मैच स्कोर विवरण;

तेसर क्वारटर फाइनल मैच

क्वारटर फाइनल, मधुबनी vs यंग रिबेल चिकना, फुलपरास

टाॅस- चिकना (बल्लेबाजी)
यंग रिबेल चिकना-87(17.3 ओवर)/10विकेट
गुणा एलेवेन 92(10.2 ओवर)
परिणाम -गुणा 5 विकेट सँ विजयी
मैन ऑफ द मैच - पवन (53 रन, गुणा एलेवन)