बैसारक दौरान प्रभारी प्रधानाध्यापक विजय कुमार चौधरी कहलनि कि पछिला सोम दिन जिला शिक्षा पदाधिकारी केर निर्देशक आलोक मे प्रभारी प्रधानाध्यापक केर पर अप्पन योगदान देलनि। योगदान देबाक संगहि विद्यालय केर गिरैत शैक्षणिक व्यवस्था क' ठीक करबाक लेल नवा रूटिन बनाओल गेल। कैल्हि मंगलक भोर जखन नियोजित शिक्षिका सरिता कुमारी विद्यालय पहुँचलि तेँ ओ रूटिन फाड़ीकेँ ओहिमे आगि लगा देली।
विद्यालय मे स्थिति क' देखैत नप बीहट केँ मुख्य पार्षद सहित आन लोग सभ विधालय मे पहुंच कार्यालय मे बैठक क' रहल छलथि। तखने नियोजित शिक्षिका सरिता कुमारी अप्पन बात राखने बिना प्रभारी प्रधानाध्यापक क' जूता खोली मारबाक लेल हल्ला करे लागली आओर सभक मौजूदगी मे मारपीट करबाक आवेदन फाड़बाक प्रयास करैत अपशब्दक प्रयोग करे लागली। एता धरी कि प्रभारी प्रधानाध्यापक क' जान सँ मारबाक धमकी सेहो देली। जाहिक बाद प्रभारी प्रधानाध्यापक विजय कुमार चौधरी एफसीआई ओपी प्रभारी ज्योति कुमार शिक्षिका केर विरूद्ध अभद्र व्यवहार करबाक आओर शैक्षणिक काज मे बाधा सहित आन आरोपक तहत मामला दर्ज करौलनि।
विदित हो कि विद्यालय मे शैक्षणिक व्यवस्था विगत चारि बरख सँ पूर्ण रुपे चरमराओल अछि। शिक्षक सभ दू गुट मे बटल अछि, दुनू गुट मे प्रभारी प्रधानाध्यापक केर कुर्सी ल'के आपसी खिचातानीक कारण विद्यालयक शैक्षणिक व्यवस्था चौपट अछि। जखन शिक्षक व शिक्षिका गुटबाजी करी विद्यालय मेँ लड़ैत रहैत अछि तेँ बच्चा सभ की पढ़त।