बिहारक राजनीति मे फिर आबई बला अछि 'तूफान', राजद आओर कांग्रेस मे टूट केर आशंका

पटना। 08 जनवरी। बिहार मे बजट सत्र सँ पहिनेराजनीतिक तौर पर उथल-पुथल देखबाक लेल भेट सकैत अछि। लालू प्रसाद यादव केँ जेल जेबाक बाद सँ राज्य मे राजनीतिक सरगर्मी तेज भ' गेल अछि। नेतृत्व सँ नाराज नेता सभ अप्पन - अप्पन राजनीतिक फायदाक चक्कर मे पाला बदलबाक तैयारी मे अछि। राजद आओर कांग्रेस मे टूट केर आशंका बरकरार अछि। 

हिंदू रीति-रिवाज केर मुताबिक 14 जनवरी सँ पहिने शुभ काजक शुरुआत नहि होयत अछि। राजनेता सभ सेहो एहि परंपरा मे आस्था राखैत छथि। बिहार मे 14 जनवरी सँ बजट सत्रक बीच राजनीति मे बहुत उलटफेर देखबाक लेल भेट सकैत अछि। बदलाव केर पटकथा लिखल जे रहल अछि।

अपने क' बता दी कि लालू प्रसाद यादव केँ जेल जेबाक असर बिहारक राजनीति पर पड़ब तय मानल जे रहल अछि। राजद मे नेता सभक गतिविधि तेज भ' गेल अछि, जाहि नेता सभकेँ तेजस्वी यादव केर नेतृत्व मे काज करबा सँ परहेज छैन्ह, ओ सभ  पाला बदलबाक फेराक मे अछि। 
  
राजद कोटा सँ मंत्री रही चुकल कद्दावर नेता नीतीश कुमारक संपर्क मे बताओल जे रहक अच्छी। ऐहिक अलावा राजद कोटा सँ नालंदा जिलाक एक विधायक सेहो लगातार जदयू केँ शीर्ष नेता सभसँ भेट मुलाकात क' रहल छथि। सहरसा मे एक कार्यक्रम केर दौरान राजद विधायक अरुण यादव सेहो नीतीश कुमारक खूब तारीफ केना रहथिन।

एम्हर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो समीक्षा यात्रा केर दौरान अलग सँ राजद विधायक सभसँ मुलाकात करीकें हुनका सभक समस्या क' सोझरेबाक कोशिश क' रहल छथि। सूत्रक मानी तेँ फिलहाल दर्जन सँ बेसी विधायक जदयू केर शीर्ष नेता सभक संपर्क मे छथि। बजट सत्र सँ पहिने नाराज नेता सभक संख्या बल यदि पर्याप्त भ' जायत अछि , तेँ एहेन स्थिति मे राजद मे सेंधमारी संभव अछि।