सांसद तारिक अनवर केर हालत गंभीर, हार्ट अटैक केर आशंका

कटिहार। 26 दिसम्बर। तीन दिवसीय क्षेत्र भ्रमण केर दौरान कटिहार पहुँचल एनसीपी सांसद तारिक अनवर केर तबीयत एकाएक खराब भ' गेलनि। नीक इलाजक लेल हुनका एयर एंबुलेंस सँ दिल्ली ल' जायल जायत। तारिक अनवर क' हार्ट अटैक केर आशंका जाताओल जे रहल अछि। 

एनसीपी महासचिव आओर सांसद तारिक अनवर केर तबीयत एकाएक ओहि समय बिगड़ल जखन ओ देर राति क्षेत्र भ्रमण करी जिला मुख्यालय स्थित अप्पन घर वापस आबैत रहथिन। बताओल जे रहल अछि कि हुनका दिलक दौरा पड़ल अछि। आनन - फानन मे हुनका स्थानीय एन एफ रेलवे हॉस्पिटल मे भर्ती कराओल गेलनि। जता गहन चिकित्सा कक्ष मे फिलहाल हुनकर इलाज चैल रहल अछि। तारिक़ अनवर क' नीक इलाजक लेल एयर एंबुलेंस सँ नई दिल्ली ल' जेबाक तैयारी चैल रहल अछि।