मुजफ्फरपुर जिलाक राधिका केँ गर्दैनक आर पार भेल 12 mm के सरिया, इलाजक लेल मदैद केर जरुरत

मुजफ्फरपुर। 09 दिसम्बर। पछिला बुध दिन राधिका सिंह अप्पन नैहर गेल छली,  राधिका के घर पर किछु घरक काज चलैत छल, सांझ7 बजे के आसपास राधिका छत सँ नीचा उतरैत रहथिन ओहि समय राधिका के पैर  पिछैर गेल जाहिसँ ओ सीधा सरिया के ऊपर गिर गिर परली। एहि घटना मे 12 mm के लोहाक सरिया राधिका के छाती सँ होयत गर्दैन के आर पार निकैल गेल। राधिका के पति केर नाम अविनाश सिंह अछि। ग्राम + पोस्ट हंसना थाना गायघाट जिला मुजफ्फरपुर केँ राधिका एखन जिंदगी आओर मौत के बीच झूइल रहल छथि। 

अलान फलान मे राधिका क' पटना केँ बोरिंग कैनाल रोड स्थित उदयन हॉस्पिटल मे भर्ती कराओल गेल, प्राप्त खबैर केर मुताविक राधिका के  ऑपरेशन डॉक्टर द्वारा सफलता पूर्वक क' देल गेल अछि। 

राधिका क' देखबाक लेल हजारो लोग जमा भ' रहल अछि आओर मीडिया कर्मि सेहो दूर-दूर सँ ताजा जानकारी उपलब्ध करेबाक लेल आयब रहल अछि मुदा, एखन धरी राधिका केँ गामक क्षेत्र सँ वा गायघाट, मुजफ्फरपुर, सँ कियो जनप्रतिनिधि राधिका केँ हाल चाल देखबाक लेल नहि आयल अछि। राधिका केँ परिवारक आर्थिक स्थिति ठीक नहि अछि आओर हुनका अप्पन इलाज करेबाक लेल मदैद केर जरुरत अछि। जँ कियो एहि स्थिति मे हुनकर मदैद करबाक इच्छुक होय तेँ हुनकर पति के नंबर पर संपर्क करि। 9472614282   7079640428