पटना। 09 दिसम्बर। अप्पन मांग केर समर्थन लेल ऑल इंडिया बैंक इम्पलाईज एसोसिएशन आओर ऑफिसर्स एसोसिएशन केँ बैनर तर 27 दिसम्बर क' बैंक सभक हड़ताल केर घोषणा कायल गेल अछि। हड़ताल मे देश भरिक सभ बैंक शामिल होयत।
बिहार प्रोविंशियल बैंक इम्पलाइज एसोसिएशन के सचिव संजय तिवारी कहलनि कि मांग केर समर्थन मे एहिराष्ट्रव्यापी हड़ताल केर दौरान एटीएम सेवा सेहो ठप राखल जायत। हमरा सभक मुख्य मांग मे आइडीबीआइ बैंक मे पुनरीक्षित वेतनमान लागू करब, बड़का कार्पोरेट घराना सँ बकाया ऋण केर वसूली करब, खराब ऋणक लेल जिम्मेदार उच्च अधिकारी सभके दंडित करब शामिल अछि। तिवारी आगा कहलनि कि हड़ताल पर सभ बैंक गोलबंद अछि। आइडीबीआइ बैंक मे नवंबर 2012 से वेतन संबंधी मामला क' लटका क' राखल गेल अछि। जाहिसँ बैंककर्मी सभमे रोष अछि।