सहरसा। 09 दिसम्बर। जिला केँ सौरबाजार प्रखंड अंतर्गत उत्क्रमित मध्य विद्यालय तीरी मे कला जत्था टीम द्वारा बाल बिआह व दहेज प्रथा उन्मुलन लेल चैल रहल जागरूकता कार्यक्रम केर आयोजन कायल गेल। जिला सचिव महेन्द्र प्रसाद कहलनि कि सौरबाजार प्रखंड केर सभ पंचायत मे कला जत्था टीम द्वारा प्रचार प्रसार कायल जे रहल अछि।
जिला सचिव कहलनि कि बिहार सरकार के जनशिक्षा निदेशालय क' आगामी 21 जनवरी क' मानव श्रृंखला केर नोडल एजेंसी बनाओल गेल अछि। शराब बंदी केर तर्ज पर बाल बिआह आओर दहेज प्रथा ल'क' आगामी 21 जनवरी क' मानव श्रृंखला बनाओल जायत। संगहि आम जनता क' सेहो जागरूक कायल जायत कि 18 बरख सँ कम उम्र मे बेटी आओर 21 बरख सँ कम उम्र मे बेटाक बिआह करब सही नहि अछि।