चक्रवाती तूफान 'ओखी' मूसलाधार बारिश संग देलक मुंबई मे दस्तक, स्कूल - कॉलेज बंद

मुंबई। 05 दिसम्बर। [जितमोहन झा (जितू)] दक्षिण भारत मे तबाही मचेबाक बाद चक्रवाती तूफान 'ओखी' आब मुंबई मे दस्तक देना अछि। 'ओखी' केर कारण कैल्हि सोम दिनक सांझ सँ लगातार बारिश भ' रहल अछि। भारतीय मौसम विज्ञान विभाग (आईएमडी) केर मुंबई ऑब्जर्वेटरी द्वारा चेतावनी देबाक बाद राज्य सरकार द्वारा आय स्कूल आओर कॉलेज सभमे छुट्टी केर घोषणा कायल गेल अछि। बारिश आओर तापमान गिरला सँ सड़क पर रोजाना से बहुत कम लोग देखार द' रहल छथि। ट्रेन सभमे सेहो भीड़ नदारद अछि। 

रेलवे सतर्क : मध्य रेलवे मुंबई डिविजन केर मुताबिक राहत बचाव कार्य मे प्रयोग होमै बला दुर्घटना राहत ट्रेन, दुर्घटना राहत मेडिकल वैन आदि जरूरी चीज सभक प्रबंध पहिने सँ क' लेल गेल अछि। संगहि 250 से बेसी रेलवे पुलिस बल आओर महाराष्ट्र राज्य सुरक्षा बल के जवान सभ सेहो भीड़ नियंत्रण आओर आन काजक लेल स्टेशन मे तैनात कायल गेल अछि। 

अपने क'बता दी चक्रवाती तूफान ओखी, शहर सँ दक्षिण - पश्चिम दिस 670 किलोमीटर केर दुरी पर अछि। वरिष्ठ अधिकारी सभक मुताबिक महाराष्ट्र तट आओर मुंबई एहि चक्रवात सँ सुरक्षित अछि। भारतीय तट रक्षक बल (आईसीजी) कैल्हि सोम दिन अरब सागर से 19 मछुवा सभके  सुरक्षित निकाललक। कोस्ट गार्ड अधिकारी सभक मुताविक, ओखी चक्रवात सूरत दिस 85 किलोमीटर केर रफ्तार सँ बैरह रहल अछि। 

गौरतलब अछि कि 26 नवंबर क' श्रीलंका लग से ओखी चक्रवात उठल, जे अस्थिर - अस्थिर केरल पहुंच गेल। चक्रवात सँ समुद्र मे माछ पकड़े गेल सैकड़ों मछुआरा लापता बताओल जे रहल अछि। महाराष्ट्र के किछु भाग मे  चक्रवात केर असर देखबाक लेल भेंट रहल अछि। महाराष्ट्र से भलहि ओखी केर खतरा लगभग टरल बुझल जे रहल अछि, मुदा सूरत दिस बढ़ैत ई चक्रवात तेल के कुआ पर गहरा असर डाली सकैत अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ