समस्तीपुर मे लगातार आगि लगबाक घटना जारी, आब मूलचंद रोड मे बैकरी दोकान मे लागल आगि

समस्तीपुर। 19 दिसम्बर। कैल्हि देर राति समस्तीपुर के मूलचंद रोड मे स्टार बैकरी दोकान मे आगि लगला सँ दोकानक सभ सामान जड़ी केँ खाक भ' गेल। स्टार बैकरी सँ सटल एक आओर शृंगारक दोकान छल ओहो पूरा तरहे जड़ी केँ खाक भ' गेल। 

दोकानक मालिक गुड्डू का कहलनि कि दोकान मे आगि करीब रातिक 2-3 बजे लागल छल जाहिक खबैर आस पासक लोग द्वारा प्राप्त भेल। दोकान म' सुताई बला सभकेँ जहिना आगिक खबैर भेटल सभ कियो पाछुक गेट सँ पड़ा गेला। फायर बिग्रेड केँ गाड़ी पहुँचलाक बाद आगि पर काबू पाओल गेल आओर आस पासक दोकान मे आगि क' पसरे सँ रोकल गेल।  

स्टार बेकरी करीब 90 बरख पुरान दोकान छल जे जिला वासी सभकेँ स्वादिस्ट केक आओर पेस्ट्री केर सेवा दैत छल। समस्तीपुर मे आय कैल्हि शार्ट सर्किट सँ घर आओर दोकान सभमें आगि लगबाक खबैर आम भ' गेल अछि आओर जानमाल केर नुकसान सेहो बहुत भ' रहल अछि। बावजूद ऐहिक ज़िला प्रशासन ऐहिकेँ रोकबाक लेल कोनो पहल नहि केना अछि।