सहरसा : स्वास्थ्य सेवा सँ वंचित छथि लोग, हड़ताली एएनएम कर्मी सभ देलनि धरना

सहरसा। 07 दिसम्बर। समान काजक लेल समान वेतन, सेवा नियमितीकरण केर मांग ल'के पछिला 34 दिन सँ हड़ताली संविदा कर्मी एएनएम कैल्हि बुधदिन प्रमंडलीय आयुक्त कार्यालय केर समक्ष धरना प्रदर्शन केलनि। धरना सँ पहिने आंदोलनकारी सभ राज्य सरकार केर  विरूद्ध नाराबाजी करैत सुपर बाजार स' जुलूस निकाली प्रदर्शन केलनि। 


एहि मैका पर गोप गुट महासंघ केर प्रदेश उपाध्यक्ष माधव प्रसाद सिंह कहलनि कि राज्य केँ मुख्यमंत्री आओर स्वास्थ्य मंत्री संविदा एएनएम (आर) पर हड़ताल थोपी ग्रामीण जनता सभके स्वास्थ्य सेवा सँ वंचित क' देना अछि।  आंदोलन केर नेतृत्व क' रहल संध्या कुमारी, रिंकी कुमारी, कुमारी सारिका, कल्याणी कुमारी, प्रीति कुमारी, उमा कुमारी कहली कि देशक न्यायालय द्वारा देल गेल फैसला क' नहि लागू करी श्रम केर शोषण कायल जे रहल अछि। 

स्वास्थ्य विभाग द्वारा 15 हजार टाका सँ 27 हजार तीन सौ टाका मानदेय घोषित करबाक बादो 11 हजार पांच सौ टाका भुगतान कायल जे रहल अछि। जखनकि स्थाई एएनएम कर्मी सभकेँ 35 सँ 40 हजार टाका मासिक वेतन भेटैत अछि। प्रदर्शनकारी सभक मांग पूरा नहि भेला पर हड़ताल जारी रहत आओर11 दिसंबर क' स्वास्थ्य मंत्री केर पुतला दहन कायल जायत।