मधुबनी : दहेजक बली चढली एक आओर नवविवाहिता

मधुबनी। 11 दिसम्बर। [मिहिर कुमार झा "बेला"] बिहारक मुखिया नीतीश कुमार दहेजक खिलाफ छथि, ओ दहेज बंद करबाक बात क' रहल छथि, मुदा एक बेर फेर  दहेजलोभी केर शिकार बनली एक नवविवाहिता।  टटका मामला रुदपुर थाना क्षेत्रक देवहार गामक अछि। जता सासुरक लोग सभ दहेजक खतिर एक नवविवाहिता केँ जान ल' लेलनि। बहुत अरमान सँ रमन झा अप्पन दलरूआ बेटी आरती केँ बिआह अंधराठाढ़ी थाना केँ देवहार गामक ब्रजेश झा सँ 17 फरवरी 2016 क' खुशी-खुशी केने छलैथ।


ब्रजेश झा बैंक मे PO केर पद पर छथि। बिआह केँ समय सेहो ब्रजेश झा क' बहुत नकद दहेज, जेवर सभ देल गेल छल। किनको ऐहिक खबैर नहि छल जे एतेक सभकिछु देल व्यर्थ चैल जायत। नवविवाहित आरती झा केँ कोरा मे एक नौ महक बेटा सेहो छल।

आरती के माँ कहली हम सभ बहुत शौख सँ अप्पन बेटी केँ बिआह केना छलहुँ। कोहवरक रंग मलीन नहि भेल, जयमाला के माला सेहो टंगल अछि मुदा हमर बेटी क' हुनकर सासुरक लोग सभ  माएर देलनि। हमर बेटी केँ संग ओ सभ सदिखन गाएर गरौज , माएरपीट करैय रहथिन। आरती हमरा हमरा सभकेँ किछु नहि बतबैय छलि, मुदा घटना के दिन रातिक 12 बजे फोन क'के कहली माँ पापाकेँ भेज क' बाबू क' ल जाउ नैय तेँ ई सभ हमरा माएर देत। हमरा संग हमर सासुरक लोग माएरपीट क' रहल छथि। 


आरती केँ बहिन कहलनि कि हमर माँ, पापा बहूत शौख सँ दीदी केँ बिआह केने छल, बिआह मे साढे सोलह लाख नकदी दहेज देना छल मुदा, ओहिक बादो हमर बहिनक संग सदिखन हुनकर पति गाएर गरौज  माएरपीट करैत रहथिन। बहुत प्रताड़ित करैत रहथिन। फेर चाएर चक्का केर मांग करे लागलखिन। 

आरती केँ पिता कहलनि कि हमर बेटी आरती हमरा सँ केको बेर कहलक जे पापा चाएर चक्का गाड़ी द' दियौ नैय तेँ ई सभ हमरा जान सँ माएर देता। ओ सभ हमर बेटी क' मौतक नींद सुला देलक। शव के अंतिम संस्कार सेहो क' देलच। ओहिक बाद हमरा सभकेँ खबैर भेटल। लड़का जयनगर मे SBI बैंक मे PO छथि। जखन की ससुर दरभंगा मे पुलिस मे छथि।  

फिलहाल पुलिस मामला दर्ज क' जांच मे जुटल अछि। आब देखबाक ई अछि जे पुलिस कतेक जल्दी आरोपी क' गिरफ्तार करैत अछि या फेर पुलिस कुम्भकर्णक निनंद में सुतैत रहत।