मुंबई। 11 दिसम्बर। किछु दिन स मिथिलाक अलग राज्यक मांग फेसबुक पर डेरा जमेने अछि। मुदा किछु प्रश्न हमरा मोन मे आबि रहल अछि जे आजुक स्थिति मे मिथिला अलग राज्य लेल निश्चित रूपें तैयार अछि?
हम मिथिला राज्यक नै विरोधी आर नै समर्थक छी मुदा किछु प्रश्न अपनेकऽ समस्त मिथिला राज्यक अभियानी सब स समक्षै के प्रयत्न क रहल छी.....
- मिथिला मे शिक्षा व्यवस्था के की प्लान अछि? जे अपनेकऽ सब दिल्ली मुंबई आर कलकत्ता संग कतेको अन्य राज्य मे निक शिक्षा लेल घुमैत छी।
- रोजगारक कि व्यवस्था अछि? जे अपनेकऽ सब के मिथिला स पलायन करै लेल मजबूर केने अछि।
- पलायन दुर करबाक की प्रावधान अछि? कियाकी जे कियोक कनी पढल लिखल छी से प्रदेश बैसल छी।
- बाढ़ि एला पर अपनेकऽ सब कत नुकाएल छलौं? ताहि काल मिथिला लेल मिथिला स्टूडेंटयूनियन के अलावा आर कियौक नै देखा रहल छलौं।
- मिथिलाक राज्य अलग भेला स रोजगार कोना भेटतै?
- मिथिला राज्य भेलाह पर मिथिलाक विकास कोना होएत ताहि लेल कि योजना अछि?
- मिथिलाक विकास लेल शिक्षा, रोजगारक संग पलायनक समस्या के निवारण केनाई प्राथमिकता हेबाक चाही नै की अलग राज्य? मजबूत रहब त नबका घर निक स चलत।