लखनऊ के एसपी (वेस्ट) कहलनि कि पुलिसक ज्वाइंट टीम सआदतगंज इलाकाक मदरसा मे छापा मारलक, मदरसा मे मौजूद 51 युवती मदरसाक मैनेजर पर यौन शोषण करबाक आरोप लगेलक। पुलिस मैनेजरक खिलाफ एफआईआर दर्ज करी हुनका गिरफ्तार करबाक लेल निकलल अछि। पुलिस एहि बातक जांच सेहो के रहल अछि कि उक्त मदरसा रजिस्टर्ड अछि वा नहि।
पुलिसक मुताबिक मदरसा पर ACM आओर ADM आओर महिला उप निरीक्षक द्वारा सभ युवतिक बयान लेल गेल अछि, एहि दौरान चाइल्ड वेलफेयर कमेटी आओर DPO क' सेहो सूचित कायल गेल अछि। प्राप्त खबैर केर मुताबिक मदरसाक छत पर चैढ केँ छात्रा सब पर्ची फेंक क' लोग सभसँ मदैद केर गुहार लगेने छल। ओतैय एगो पीड़िता संचालक मो. तैयब जिया पर युवती सभक सप्लाई करबाक सेहो आरोप लगेने अछि।