शराबबंदी केँ बाद कफ सिरप केर बढ़ल मांग, धड़ल्ले सँ भ' रहल अछि बिक्री

खगड़िया। 30 दिसम्बर। बिहार मे शराबबंदीक बाद नशेड़ी सभमें खलबली देखल जे रहल अछि। नशेड़ी सभ नशाक लेल नवा - नवा तरिका अपना रहल अछि। ताजा मामला मे सरकारी अस्पताल सभमें गोगी सभकेँ मुफ़्त देल जाय बला कफ सिरप क' नशाक रुप मे उपयोग कायल जे रहल अछि।

एहि सनसनीखेज खुलासाक बाद चौंकबई बला हालात सामना आयल अछि। मेडिकल स्टोर धड़ल्ले सँ कफ सिरप युवा सभकेँ बेचते अछि मुदा आब सामान्य दुकान सभमें सेहो धड़ल्ले सँ कफ सिरप केर बिक्री भ' रहल अछि। युवा वर्ग धड़ल्ले सँ  कफ सिरप केर उपयोग शिक्षण संस्थान समेत तमाम जगह पर क' रहल अछि।

किछु छात्र  प्रशासन क' सूचित केलक कि कोशी कॉलेज खगड़िया समेत तमाम कालेज मे छात्र सभक एक समूह कफ सिरफ़ केर बोतल अस्पताल से वा बाहर से मंगवा ओहिकें शराब जोका पीब बीमार भ' रहल अछि। जाहिक सत्यापन लेल कुछ पुलिस कर्मी जखन कॉलेज पहुँचल तेँ कैम्पस सँ हजारों बोतल कफ सिरप बरामद भेल। छात्र सभक मांग अछि कि एहि मसला पर जल्द कार्रवाई कायल जाय। 

अपने क' बता दी कि पछिला माह चौथम थाना पुलिस बड़का कार्रवाई करैत डाक्टर जमशेद केर क्लीनिक पर छापा मारी 16 कार्टून कोडिन (कफ सीरप) केर संग डॉ जमशेद क' सेहो गिरफ्तार केना छल। थानाध्यक्ष मुकेश कुमार कहलनि कि थाना सँ महज 50 फीटक दूरी पर करूआमोड़ निवासी मो. जमशेद दवा व्यवसाय केर आड़ मे अवैध रूप सँ प्रतिबंधित दवा कफ सिरप केर बिक्री करैत रहथिन। पुलिसक बहुत दिन सँ हुनका पर नजैर छल।