शौचालय घोटाला : पटना हाईकोर्ट केँ नीतीश सरकार क' नोटिस, दू सप्ताह मे मांगलक जवाब

पटना। 11 दिसम्बर। पटना हाईकोर्ट शौचालय घोटाला पर बिहार सरकार क' नोटिस जारी केना अछि। हाईकोर्ट मे मुख्य न्यायाधीश केर खण्डपीठ आय सोम दिन अधिवक्ता मणिभूषण सेंगर केर याचिका पर सुनवाई करैत सरकारक रुख पर नाराजगी जेतेलक।

अपने क' बता दी सरकार एहि मामला मे पहिनो चारि बेर जबाब दाखिल करा चुकल अछि। मुदा सरकार केर जवाब सँ असंतुष्ट हाईकोर्ट बिहार सरकार आओर पटना नगर निगम क' एहि मामला मे पूरक हलफनामा आओर शौचालय निर्माण केरस्टेटस रिपोर्ट 2 सप्ताह मे देबाक लेल कहने अछि।

एहि बारे मे वकील मणिभूषण सेंगर कहलनि कि ओ हाईकोर्ट मे याचिका दायर केना छला कि पटना सहित पूरा बिहार मे शौचालय निर्माण केर  नाम पर करोड़ों टाका खर्च कायल गेल अछि। असल में शौचालय केर  निर्माण भेले नहि अछि। एहि ल'के बिहार सरकार दिस सँ कैको बेर जवाब देल गेल मुदा, हाईकोर्ट सरकार केर जवाब सँ संतुष्ट नहि अछि।