बिहार केँ पंचायती राज मंत्री 'कपिल देव कामत' क' गोली मारबाक धमकी, एक गिरफ्तार

मधुबनी। 09 दिसम्बर। [प्रणव कुमार चौधरी] बिहार सरकार केँ पंचायती राज मंत्री कपिल देव कामत आओर हुनकर बेटा क' गोली मारबाक धमकी देबाक मामला सामना आयल अछि। पांच लाख टाका फिरौती केर मांग आओर धमकी देबाक आरोपी युवक सोनू सिंह क' नगर थाना पुलिस गिरफ्तार केना अछि। 

दरअसल, नगर थाना मे पंचायती राज मंत्री कपिल देव कामत के बेटा आनंद कुमार ऐही मामला मे कैल्हि शुक्र दिन F.I.R दर्ज करेलनि। लिखित शिकायत मे पांच लाख टाका नहि देबा पर गोली मारबाक धमकी देबाक  आरोप लगाओल गेल छल। नगर थाना पुलिस तुरंत कार्रवाई करैत आरोपी सोनू सिंह क' गिरफ्तार क' लेलनि। 

प्राप्त खबैर केर मुताबिक पुलिस कैल्हि देर सांझ एक होटल सँ आरोपी क' गिरफ्तार केलनि जखनकि एक आन आरोपी बंटी सिंह केर गिरफ्तारी लेल पुलिस सघन छापामारी क' रहल अछि। प्राप्त जानकारी केर मुताबिक दुनु आरोपी खजौली थाना क्षेत्रक रहिवासी छथि। 

एहि मामला केर संबंध मे दर्ज एफआईआर केर मुताबिक सोनू मंत्री व हुनकर बेटा क' गुरु दिनक राति करीब 09:45 मे फोन करि कहलनि कि  मधुबनी कांड मे पैरवी नहि करबाक लेल ई धमकी देल गेल छल। 

ऐही मामला मे एसपी दीपक बर्णवाल कहलनि कि मंत्री कपिलदेव कामत आ हुनकर पुत्र आनंद कुमार केर शिकायत पर नगर थाना मे दुनु आरोपी केर खिलाफ एफआईआर दर्ज कायल गेल अछि। बंटी आओर सोनू पर मंत्री के सरकारी मोबाइल पर फोन करि टाका मांगबाक आओर टाका नहि देबा पर गोली मारबाक धमकी केँ आरोप अछि।