खगड़िया : गंगा मे नाह पलटला सँ तीन गोटाक मौत

खगड़िया। 26 दिसम्बर। खगड़िया जिलाक परबत्ता मे आय एक नाह डूबलाक घटना मे तीन लोगक मौत होयबाक खबैर अछि। एहि घटना मे तीन आन लापता बताओल जे रहल अछि, जिनकर खोज जारी अछि।  

प्राप्त खबैर केर मुताबिक गामक किछु लोग नाह पर सवार भ' गंगा पार करैत छल, एहि नाह लड़खराबैत डूबी गेल। परबत्ता के थाना प्रभारी गुंजन कुमार कहलनि कि नाह पर सवार 7 लोग कुनु तरहे हेलैत बाहर भ गेला मुदा तीन लोगक डूबला सँ मौत भ' गेलनि आओर तीन गोटा लापता बताओल जे रहल अछि। ग्रामीण सभक सूचना पर पहुँचल पुलिस स्थानीय गोताखोर सभक मदैद सँ लापता लोग सभक तलाश शुरू क' देना अछि।